हमर गाम बलियारी

बिहार प्रांत'क मधुबनी जिला में कमला बलान नदी के किनार में अवस्थित अछि ऐतिहासिक प्रखण्ड झंझारपुर। झंझारपुर थाना चौक (पुरानी बाजार) सs 1 किमी पूरब में अवस्थित अछि हमर गाम बलियारी। हरल-भरल खेत खलिहान सs भरल-पूरल एहि ग्राम में आब विकास'क नव धारा सेहो बहि रहल अछि। घर-घर में टेलीफोन आ जेब में मोबाइल सेहो आबि गेल अछि। टेलीविजन'क बात तs आब पुरान भs गेल। आब तs कतेक चार पर डी.टी.एच. सेहो भेटि जायत। गाम तक आब पक्की सडक सेहो बनि गेल अछि। देखिते-देखिते कतेक रास परिवर्त्तन भs गेल। इयह सभ सोचैत एकटा विचार आयल जे विकास'क एहि धारा केँ लाभ उठाबति अपन गाम केँ इंटरनेट पर आनल जाय। गाम में कतेक एहन लोक हेताह जिनका इन्टरनेट के लति लागल हेतन्हि हुनका सभ सs आग्रह जे एहि ब्लॉग पर आउ आ किछु सहयोग करु। जे किछु मोन में आबैत अछि से लिखू, किछु सँस्मरण, किछु लेख आ जे किछु लिखि सकैत अछि। सदस्यता के लेल सम्पर्क करु-
कुन्दन कुमार मल्लिक
मो.- +91-9739004970

Thursday 31 July 2008

परिवार मे एकटा नव सदस्यक आगमन


शीर्षक देखि के त' बुझिये गेल होयब जे बात की छैक। त' चलु स्पष्ट कय दी। आई दिन मे हमर भौजी यानी हमर अग्रज श्री वीरेन्द्र कुमार मल्लिक, जिनक चर्च एहि सँ पहिनुका पोस्ट मे सेहो कएने रही हुनक पत्नी श्रीमती संजना मल्लिक एकटा पुत्री केँ जन्म देलथि। इ दुहु गोटे केँ प्रथम संतान थिक। जन्मक विवरण निम्न अछि:-
दिनांक- ३१ जुलाई, २००८ तदनुसार श्रावण कृष्ण पक्ष चतुर्दशी शक सम्वत १९२९
समय- अपरान्ह ११:३२:००
स्थान- बोकारो (झारखण्ड), अक्षांश- ०२३:५१ उत्तर, रेखांश- ०८६:०२ पूर्व, मानक रेखांश- ०८२:३० पूर्व।
बालिकाक चन्द्रराशि मिथुन आ लग्न तुला राशि मे अछि। जन्मक समय पुनर्वसु नक्षत्र अपन तेसर चरण मे छल।
आउ एहि शुभ अवसर पर सभ केओ नवजात केँ अपन मंगलमय आशीष आ ओकर माता-पिता केँ अपन शुभकामना प्रदान करी।

No comments: